अनुवाद :

विश्व पर्यटन दिवस २०२१

विषय सूची

                                                                                                                               

संयुक्त राष्ट्र विश्व पर्यटन संगठन

 

यूएनडब्ल्यूटीओ के स्थापना 27 सेप्टेम्बर 1980 में क्याल गेल छलै ताकि अइ बात पर जागरूकता लब जा सकै कि पर्यटन वैश्विक स्तर पर सामाजिक-सांस्कृतिक, राजनीतिक आर्थिक मूल्य अंतर्राष्ट्रीय समुदाय के भीतर पर्यटन के भूमिका के केना प्रभावित करैत छै।

 


 

विश्व पर्यटन दिवस 2021 के थीम

अइ वर्ष के थीम 'समावेशी विकास के लेल पर्यटन' छै। संख्या पर नहीं बल्कि ओइ लोक पर ध्यान केंद्रित करैत छै जे अइ नंबर के पाछु छै जे पर्यटन उद्योग के एक बडका सफलता बनाव के लेल वास्तव में कड़ा मेहनत करैत छै।

 

विश्व पर्यटन दिवस मनय्ल गेल

इ दिवस पूरा विश्व में आइ मनाओल गेल अछि। नेपाल के संदर्भ में इ दिवस विभिन्न जगह पर रैली आ प्रदर्शन क-क मनाय्ल गेल अछि आ विभीन्न कार्य क-क भी मनाय्ल गेल अछि।  जनकपुर धाम में सेहो विभिन्न कार्य क-क इ दिवस मनाय्ल गेल अछि ।



 जनकपुर धामकऽ दृश्य


2021 में पर्यटन में किछ चुनौती सब

ओना त आन साल जेका ऐ साल प्रयटक सब नै आब सकल । पिछला दु वर्ष सँ वैश्विक महामारी कोरोना के चलते पर्यटन विकास में अवरोध भेल छै। विश्व के सब देश ऐ सँ प्रभावित अछि । पर्यटक सँ आव वाला धनराशि में सेहो कमी आईब गेल अछि। बहुत वेसी आर्थिक नुकसान भेल अछि।

 

नेपाल में पर्यटन राजस्व

नेपाल अपन हिमाल शृङ्खला के लक विश्व प्रसिद्ध अछि। विश्व  के दश (८०००मीटर)अधिक ऊंचाई भेल पहाड़ सब मेस आठ टा नेपाल ले मे अछि। 

   केवल पर्वतारोहण के लेल नै  बल्कि जंगल पर्यटन, बर्ड वॉचिंग, ट्रेकिंग, राफ्टिंग, कयाकिंग, कैन्यनिंग, जंगल सफारी, रॉक क्लाइम्बिंग बहुत  अन्य गतिविधियों के लेल  नेपाल भ्रमण के लेल अवैत छैथ । सब साल, पर्यटन अर्थव्यवस्था में $७०० मिलियन आबै छै। अइ वजह सँ दस लाख स ज्यादा नेपाली कामदार पर्यटन उद्योग पर निर्भर छै। पर्यटन क्षेत्र देश के सबसे बड़का उद्योगों में सँ एकटा छै, जे देश के सकल घरेलू उत्पाद (जि.डि.पी.) के लगभग 8 प्रतिशत योगदान देछै  आ दस लाख सँ अधिक श्रमिक के रोजगार देछै।

 

नेपाल के प्रमुख पर्यटन स्थल

 

जानकी मंदिर

 

पर्यटन स्थल

पर्यटन स्थल जगह

जानकी मंदिर

जनकपुर धाम ()

पशुपतिनाथ, बौद्धनाथ स्तूप

काठमांडू  (बागमती)

सगरमाथा

सोलुखुम्बु  ()

चितवन राष्ट्रीय उद्यान

सोनेपुर

हेलम्बु ट्रेक

हेलम्बु

अन्नपूर्ण, डेविस फल्स, फेवा ताल

पोखरा (गण्डकी)

माया देवी मंदिर, अशोक स्तम्भ

लुम्बिनी (लुम्बिनी)

                                                                                                                                              

स्रोत -सामाजिक संजाल

Post a Comment

1 Comments